रङ्ग–उमङ्गक साँस्कृतिक पर्व फगुआ

श्यामसुन्दर यादव ‘पथिक’:   होरी अर्थात फगुआ रंगक त्यौहार थिक । मिथिलाञ्चलमे अहि पर्वके मिथिला बासीसभद्धारा रंगोत्सवके रुपमे मनाओल जाईत छैक । होरी अर्थात फगुवा पावनिके लग सऽ देखल जाई तऽ प्रेम, सदभाव आ भाईचाराक सम्बन्ध विस्तार करवला पर्व थिक । जाड सँ उन्मुक्ति पावि वसन्त ऋतु फागुण पुर्णिमाके दिन मनाओल जाईबला ई पर्व विश्वके महत्वपूर्ण सन्देश दऽ रहल अछि । केओ किछ कहए मुदा किन्हो नहि मानव मिथिलावासी एक जुट छथि,  एक दोसरके विचमे सदभाव छथि से सन्देश देवए मे हम सभ सफल छी ।

holi

बसन्त ऋतुके हरियालिक स्वागत संगहि मिथिलाबासी फागुण मासमे झुमि उठैत छथि । कियाक त अगहन मासक धान सहितक बालि घर प्रवेश करा फुर्सतके क्षण सेहो पवैत छथि आऽ एम्हर गहुमक बालि सेहो पाकके अवस्थामे पहुच गेल रहैत छैक । तै मिथिलावासी सभक खुशि सँ मोन झुमि उठिनाई स्वभाविक थिक । अहि खुशियाली सभके प्रस्फुटित करएमे सफल मानल गेल अछि, होरी अथवा फगुवा पावनि । बसन्त पञ्चमी अर्थात सरस्वती पूजाक दिन सँ रंग अविरक प्रारम्भ भऽ जाईत छैक । सरस्वतीये पुजा दिन किर्तनिया मण्डली सभ होरीक गित गावि फगुवाक स्वागत करैत छैक । तकर बाद गाम गाममे रात्रिकालिन समयमे होरी अर्थात फगुवा गेवाक कार्य प्रारम्भ भऽ जाईत अछि ।

मिथिला क्षेत्रक लोक सभ रात्रिक भोजन कएलाक बाद दलान या चौपाढिमे एक्कठा भऽ होरीके पुर्व तैयारीमे होरी गित सभ गाव जुटि जाईत छथि । मदमस्त मासके रुपमे मानल जायवाला फागुणमे बुढवोमे जवानी अबैत छैक से कहब मिथिलाञ्चलमे अछि । जकर नमुना गामघरके बुढपुरान लोकसभ होरी गेवाक लेल आगा रहैत छथि । आ युवा जमात सभ मुकदर्शक भ देखैत रहैत छथि । अपन उमरके विसरि बृद्ध सभ झुमरा, जोगिरा, फगुवा गेवामे पाछा नहि हटैत छथि । कहल जाईत अछि जे होरीमे उमर नहि देखल जाइए । बरिस भरिमे एक दिन अपन दुःख पीडा विसरी हर्षोल्लासके साथ ई पावनि मनाओल जाईत अछि ।
गित, संगित, कला, संस्कृति, भेषभुषा आ परम्पराक उर्वर भुमि मानल जायवाला मिथिला अर्थात मधेश भुमिके सदैत एकटा अलग विषेशता आ पहिचान रहलैक अछि । विश्व समुदायके आगा हमसभ गर्वके साथ कहि सकैत छी, जे हम सभ मिथिलावासी छि । एकर श्रेय हमसभ अपन पुर्खा पुर्वजके देबए विना नहि रहि सकैत छी । जे कि गाम घरमे रहएवाला हमर अहाके पुर्खा सभ संस्कृतिके सहेजके अखन धरि रखन छथि । मुदा आव अर्थात २१ म शताब्दीमे बढैत आधुनिकता सँगहि हमर अहाँके पावनि त्यौहार, परम्परा आ संस्कृति उपर प्रहार भऽ रहल अछि । वर्तमान युवा पिढी धीरे धीरे आधुनिकताके बजारमे अपन परम्पराके पाछा छोडि रहल अछि । ओ सभ आधुनिकताके पुजारी बनैत जाऽ रहल अछि ।

एक दशक पहिने धरि श्रीपञ्चमीयेके दिनसँ गाम घरमे होरी गएवाक कार्य शुरु जाईत छल, मुदा आव एहि कार्यमे कमी देखल जा रहल अछि । रात्रि ९ बजेके बाद प्रायः सभ गाम–घरक पुरुष लोकनि एक ठाम जम्मा भ होरी गबैत छल । आब अहि क्रममे किछु कमि देखवामे अबैत अछि । पौराणिक होरी गीतक स्थान तऽ अखन रंग विरंगक अश्लिलता सँ भरल होरी गितक कैसेट लऽ रहल अछि । जे हमर अहाँके संस्कृति उपर प्रहार तऽ करिऐ रहल अछि संगहि अश्लिलता आ छाडापनके न्यौत सेहो दऽ रहल अछि । ओना त होरीमे कनि नोंक–झाेंक आ अश्लिलता रहबे करैत अछि, मुदा परत भितर रहैय । बजारमे होरी गित सम्बन्धि गित सभ एनाई निक बात थिक, मुदा चर्चाके होडबाजीमे अश्लिलता आ परम्परा पर प्रहार नहि होयबाक चाही । परम्परा सऽ जुडल गीत होयवाके चाही । ओना त होरीके विषयमे पौराणिक खिस्सा सेहो अछि ।
हिरण्यकश्यपुके पुत्र छल, प्रहलाद् । जे भगवानके अनन्य भक्त छल, मूदा हुनक पिता हिरण्यकस्यपु भगवान अर्थात देवता विरोधी छल । प्रहलादके मारवाक लेल बहुतरासँ प्रपञ्च रचैत छल, हुनक पिता हिरण्यकस्यपु । ताहि क्रममे विष्णु भक्त प्रहलाद्के जान सँ मारबाक लेल हिरण्यकश्यपु अपन बहिन होलीकाके जिम्मा दैत छथि । बालक प्रहलाद्के आगिमे लऽ होलिका बसि जाईत छैक, मुदा प्रहलाद्के किछ नहि होइत छैक । आ एम्हर होलीका जरिक भष्म भऽ जाईत छैक ।
तैं सत्य पर अटल रहलाके कारणे प्रहलाद् सकुशल आगिसँ बाहर आवि जाईत छैथ । आसुरी शक्ति उपर दैवी शक्तिके विजय होयवाक दिनके स्मरण करैत मिथिलामे होरी पावनि मनेवाक परमपरा चलैत आवि रहल अछि ।
असत्य उपर सत्यके विजय भेलाक अवसरमे विजयोत्सवके रुपमे प्रायः सभ गाममे कमसे कम होलीका दहन कएल जाइत अछि । ढोलक, हारमुनियम, झाइल मृदङ्ग, डम्फा सहितके बाद्यवादन सभ बजाकए होरी गीत गाओल जाईत अछि । होरीक पूर्वक राति गाम घरके लोक सभ होरी गीत गाबैत गामक सिमान पर जा समत जरबैत छथि । आ होरी अर्थात फागुन पुर्णिमाके दिन घर घर सकर सँ बनल पुवा पुडि सहितके पकवान आ परिकार सभ बना भोग लगाक परसादके रुपमे ग्रहण करैत अछि । संगहि जिनका घरमे पावनि नहि होएत अछि, हुनका सभके अपन घर बजाके खुएवाक परम्परा एखनो कायम अछि ।
मुख्यतया फगुवासऽ सम्बन्धित गीत सभ राधा–कृष्ण, शिव–गौरी, सिता–राम, पति–पत्नी, जिजा–साली, दियर–भौज, प्रेमि–प्रेमिका सँ सम्बन्धित रहैत अछि । होरी गितक किछु पाइत अहि प्रकार अछिः

होरी खेले रघुवीरा अवधमे, होरी खेले रघुविरा
किनकर हाथ कनक पिचकारी, किनकर हाथ अविरा
होरी खेले रघुविरा, अवधमे होरी खेले रघुविरा…

एक दिश खेले कुमर कन्हैया, एक दिश खेले होरी हो
एक दिश खेले मोहन मुरारी, दोसर दिश राधा प्यारी हो

शिव मण्ठ पर फहराबए लाल धुजा
शिब मण्ठ पर………………..

जगदम्बा जी खेलत फाग जोगिनी संग लियो ……………….

तहिना होरी गीत सभमे त कनि मस्ती आ अश्लिलताक झलक रहबे करैत अछि । जाहि कारणे युवा मात्र नहि बृद्ध सभक देहमे सेहो मस्तीके सञ्चार भऽ जाइत अछिः
सर रर सरकी नाचे पतकी पैसा लिय मोटकी…

बैगन बारी करैला तोड गेलए लटकी बैगन बाडी…..
पैरमे गडि गेलै कुशम केर रे काँट………..
असगर कोना जायब, नैहर दुर रे बलमुवा………………
अहि प्रकारक होरी गीतसभ देहमे जोश भरवाक काज करैत अछि । जाहिमे जोगिडाके त अपने बिशेषता अछि । जेनाः

कोन ताल पर ढोलक बाजे कोन ताल मजिरा ….
आब जोडी हो कथिए केर टुटल ए छौडा हरबहना,कथिए करे टुटल कमार
कथिए केर टुटल ए छौडी रे पतरकी, कथिए केर टुटल लोहार…………………….
किन्हका पोखरीयामे ए झिलमिल पनियाँ, किनका पोखरीयामे श्यामार
किनका पोखरीयामे चेल्हवा मछरीया कौन पापी फेकए महजाल…………….

समग्रमे कहल जाय त हर्सोल्लासक पर्व थिक होरी अर्थात फगुवा । अहि पर्वमे देवर भौजी आऽ जिजा सालीके बिषेश महत्व रहैत अछि । एक दोसरके रंग अविर लगाक इ पर्व मनाओल जाईत अछि । होरीमे ओना त नैना भुटका आ किशोर सभ बाँसक पिचकारी बनाके रंग खेलैत अछि । मुदा आव तऽ बाँसक पिचकारीक जगह आधुनिक प्लाष्टिकके पिचकारी ल लेलक अछि ।
ओना त मिथिलाके युवक सभ अहि पावनिमे अपनाके कृष्ण आ युवती सभ राधा बुझैत छथि । संगहि संङ्गी–तुरीयाके सङ्ग रङ्ग अबिर लगाके सेहो होरी मनेवाक परम्परा मिथिलामे कायम अछि । एतवे नहि अपन सऽ पैघ व्यक्तिके पैर पर अबीर चढा कए प्रणाम करवाक विशिष्ट नमूना मिथिलामे बिद्यमान अछि । मिथिलाञ्चलक ई स्वस्थ्य एवं अलौकिक परम्परा धीरे–धीरे लोप भऽ रहल अछि ।
होरी पावनिमे विकृति ऐलाक कारणें एकर महत्व घटैत जा रहल अछि । पहिने भाङ्ग पिवा धरिके काज होइत छल होरीमे । मुदा आव भाँंगक जगह ल लेलक अछि देशी विदेश दारुसभ । जाहि नशाके कारणें स्वस्थ होरी कतेको ठाम बदनाम सेहो भ रहल अछि । तंै मिथिलाबासीके सचेत भेनाइ आवश्यक अछि ।
कविश्वर चन्दा झा कहने छथि–
मिथिला फूकत शंख, धैर्य केर डोलि रहल अछि आसन
माँगल नहि छिनल जाईत इतिहासक सिंहासन
अपन संस्कृतिके संरक्षण नहि करब त लोप होयवामे आ विकृतिक प्रवेशमे बहुत समय नहि लागत । तंै सम्पुर्ण मिथिलावासीसभ उठी, जागी आ अपन संस्कृतिके संरक्षण करी । मिथिलाक सुन्दर नगरीकें प्रदुषित होयबा सँ बचाबी । अपने सभक फगुआ सुखद् होय ।
(लेखक मैथिली साहित्य परिषद राजविराजक सचिव छथि। )